NEWS7AIR

राँची विश्वविद्यालयक डॉ. आनंद कुमार ठाकुर एनसीईआरटीक राष्ट्रीय बैठक मे मैथिली शिक्षण सामग्रीक करताह समीक्षा

राँची: राँची विश्वविद्यालयक विश्वविद्यालय स्नातकोत्तर प्राणीशास्त्र विभागक सहायक प्राध्यापक डॉ. आनंद कुमार ठाकुर कें राष्ट्रीय स्तर पर एकटा महत्वपूर्ण शैक्षणिक दायित्व सौंपल गेल अछि। राष्ट्रीय शैक्षिक अनुसंधान और प्रशिक्षण परिषद (NCERT), नई दिल्ली द्वारा हुनका मैथिली भाषा मे विकसित कएल जा रहल शिक्षण-अधिगम संसाधन (Learning Resource Material) क समीक्षक (Reviewer) क रूप मे आमंत्रित कएल गेल अछि।

मूल रूप सँ मैथिली भाषी डॉ. ठाकुर नई दिल्ली स्थित एनसीईआरटी मुख्यालय मे आयोजित तीन दिवसीय विशेष बैठक मे शामिल भ’ रहल छथि। ई बैठक 21 जून सँ 23 जून 2026 धरि संचालित कएल जाएत। एहि उच्च स्तरीय बैठक मे मुख्य रूप सँ राष्ट्रीय शिक्षा नीति-2020 (NEP-2020) आ राष्ट्रीय पाठ्यचर्या रूपरेखा-2023 (NCF-2023) क नवीन दिशानिर्देश क अनुरूप तैयार कएल गेल अध्ययन सामग्रीक समीक्षा कएल जाएत आ ओकरा अंतिम रूप प्रदान कएल जाएत।

डॉ. आनंद मुख्य रूप सँ जीवविज्ञान (बायोलॉजी) क पोथी सबहक रिव्यु करताह।उच्च शिक्षा शिक्षक, लेखक, शोधकर्ता, कंटेंट डेवलपर आ अकादमिक समीक्षक क रूप मे डॉ. आनंदक निरंतर योगदान कें देखैत हुनका ई प्रतिष्ठित राष्ट्रीय जिम्मेदारी सौंपल गेल अछि। हुनका एहि महत्वपूर्ण शैक्षणिक कार्य हेतु आमंत्रित कएल जानाय राँची विश्वविद्यालय आ पूरा झारखंड राज्यक लेल बड़का गौरवक विषय अछि।

एहि पैघ उपलब्धि पर राँची विश्वविद्यालयक कुलपति प्रोफेसर सरोज शर्मा डॉ. ठाकुर कें हार्दिक बधाई आ शुभकामना देलनि अछि। कुलपति आशा व्यक्त कएलनि अछि जे डॉ. ठाकुरक लंबा अनुभव आ विशेषज्ञता सँ भारतीय भाषा सब मे जीवविज्ञानक गुणवत्तापूर्ण शिक्षण सामग्रीक विकास कें एकटा नवीन आ प्रभावी दिशा भेटत।

You might also like
Leave A Reply

Your email address will not be published.